Saturday, December 17, 2011

हमर आधार


हम रही गेलौं एसगर एक तरह से 
हम रही गेलौं उदास ,
हमर आधार हमर अम्मा नहीं रहल ,
वो अचानक विलीन भ गेल 
वो अचानक चली गेल 
नहीं देख सकलौं अंत समय 
इ दुःख संग रहत हमरा 
इ सुन्लौं जब, इ जनलौं जब ,
रही दूर हम ,
आंख में लोर , पलक पर आंसू 
ल का चललौं ..
किनका की कहु 
जिनगी भर इ दुःख रहत 
जिनगी भर नहीं बिसरब
हमर अम्मा , हमर आधार 
नहीं जानी, कत गेल वो 
वो अनजान जगह
नहीं जानी  कत गेल वो
हमर आधार ..
हमर अम्मा


No comments:

Post a Comment